Monday 23 January 2012

हमरा गाममे


हमरा गाममे
(गीत)


पोखरि माछ मखान  हमरा गाममे
अंगना आ दलान हमरा गाममे |

मूडन  आ उपनयन वियाहक भोज-भात
जनऊ सुपारी पान हमरा गाममे |

फगुआ दशमी दीयाबाती आ छठ पावनि
पूरी आ पकवान हमरा गाममे |

बटसावित्री मधुश्रावणी आर कोजगरा
डाला  आ चुमान हमरा गाममे |

अल्हुआ मड़ुआ राहरि कुरथी चना खेसारी
मकई गहुम आ धान हमरा गाममे |

तिरहुत  बटगबनी डहकन लगनी आ नचारी
सोहर समदाओनक गान हमरा गाममे |

चारि कोटि हम सब छी मिथिला केर बासी
चारि कोटि भगवान हमरा गाममे |




No comments:

Post a Comment