Tuesday 24 January 2012

दारु के दोकान गामे -गामे

दारूके दोकान गामे –गामे
(गजल)


पोखरिमे मखान गामे -गामे
दारूके दोकान गामे -गामे |


दिन क पूजा राति बिताबय चोरीमे
रावणके खरुहान गामे -गामे |


कबुला केलक पूर मनोरथ भेलैतं
गेल छागर के जान गामे-गामे |


जाममे फंसला  वर-वरियाती
रस्ते पर चुमान गामे-गामे |


की हेतै अइ बेर बाढमे के जानए
छटपट कोटि परान गामे-गामे |


परिणयकें व्यापार बनौलक मिथिलामे
अयाचीक संतान गामे-गामे |


बाट-घाटसं कांट-कुश कें दूर करू
अन्ना केर अभियान गामे-गामे |




No comments:

Post a Comment