Saturday 4 August 2012

भोरे-भोरे

   भोरे-भोरे 

नित्य  उठैछी भोरे-भोरे
घूमि अबैछी भोरे-भोरे |


दूर-दूर धरि हरियर धरती
देखि अबैछी भोरे-भोरे |


धरती  मैया सभहक मैया
निहुरि कहैछी भोरे-भोरे |



आम डारि पर गाबय  कोइली
गीत सुनैछी भोरे-भोरे ।


माए-बाबू भगवान हमर छथि
चरण छुबैछी  भोरे-भोरे |


माटि-पानि ले' तन-मन-जीवन
प्रण ई करैछी भोरे-भोरे |


(प्रकाशित - विदेह -ई, १ अगस्त २०१२ )