अहाँ जे रुसलियै
अहाँ जे तकलियै हम बुझि गेलियै
ताकि मुसुकेलियै हम बुझि गेलियै |
कोइली कुहुकलै आमक डारि पर
अहाँ जे बजलियै हम बुझि गेलियै |
रिमझिम-रिमझिम साओन आ भादो
अहाँ जे कनलियै हम बुझि गेलियै |
गुमकीक बाद बिजलोका आ अन्हड़
अहाँ चुप भेलियै हम बुझि गेलियै |
रुसबाक मतलब ई दुनिञा हमर छी
अहाँ जे रुसलियै हम बुझि गेलियै |
No comments:
Post a Comment