Thursday 28 October 2021

तोरा अङनामे

 

                   तोरा अङनामे 

तोरा अङनामे 

     वसंत नेने  

        आएब सजना, तोरा अङनामे |

 

पीयरे ओहार बिच लाले रंग डोलिया

ताही बिच कुहुकय प्राण  कोइलिया

तोरेले’ पराती

      सुनैब सजना, तोरा अङनामे |

 

आशक पातिल प्रेमक बाती

देखि जुडायत दगधल छाती

सपने जकां कोहबर

       सजैब सजना, तोरा अङनामे |

 

सेज सजायब कल्पित उपवन

करब निछाउर तन-मन-यौवन

नीलगगन-सन

       बनैब सजना, तोरा अङनामे |

 

नोर  बहाकय थाकलि नयना

उछिलय सिनेहक गंगा-यमुना

संगे-संगे जी भरि

       नहैब सजना, तोरा अङनामे  |


(गीत संग्रह 'तोरा अङनामे' 1978 मे प्रकाशित ) 

 

No comments:

Post a Comment