Tuesday 5 October 2021

डिबिया

                                   डिबिया

बंगला अछि

गाडी अछि

टी वी अछि

फ्रीज़र अछि

ए सी अछि

रंग-विरंगक मोबाइल अछि

लाकर अछि

एफ ड़ी अछि

             कतेक धनीक छी हम सभ,

मुदा

जीबि नहि सकैत छी बिना घूसक,

क’ नहि सकैत छी

बेटाक विवाह

बिना दहेजक

रहि नहि सकैत छी

बिना ककरो  दुःख देने

                कतेक गरीब छी हम सभ !

 


No comments:

Post a Comment