Tuesday 5 October 2021

तेहेन बात नै कहू / मैथिली गीत

तेहेन बात नै कहू

ओहिना तं मोन  धह-धह जरिते रहैत अछि
फाटि  जाए करेज तेहेन          बात नै कहू |


मोनक इ घर फूसक, चिनगी उडैछ छण-छण
जरि जैत सगर गाम, एखन बसात नै बनू |


बांटल ई  चर-चाँचर कतेक आरि -धूरसं
अहाँ  कांट सं भरल एखन बाट नै बनू |


इतिहास केर घैल अछि नोर सं भरल
तै ले' अहाँ पुरैनिक एखन पात नै बनू |


संगी हमर बनी तं बरु साँझे बनि रहू
कुहेस सं भरल एखन प्रात नै बनू |



( प्रकाशित : समय-साल / मइ -जून २०११ )

No comments:

Post a Comment