Tuesday 5 October 2021

हमर संसार

 

कविता :               

                 1.हमर संसार

बेडपर पडल छी

सुई अछि, सिरिंज अछि

टेबलेट आ कैप्सूल अछि

एंजाइम आ टॉनिक अछि

कतेक असहाय छी हम

कतेक दुखद अछि ई क्षण !

 

हमरा देखैले’

कतेक लोक आबि गेल अछि

बेटी-जमाय

नाति-नातिन

बेटा-पुतोहु

पौत्र-पौत्री

मित्र, पडोसी

कतेक सामर्थ्यवान छी हम

कतेक सुखद अछि ई क्षण !!

 

No comments:

Post a Comment