लेखक - जगदीश चन्द्र ठाकुर "अनिल" ..........
हमर रचित मैथिली गीत,गजल,कविता,लेख आ समिक्षा केर ब्लॉग ............
Written by Jagdish Chandra Thakur "Anil"
Friday, 27 January 2012
गाम आ दिल्ली
गाम आ दिल्ली
(कविता)
एकेटा घर
आ सत्रह
टा लोक
कहैत
छलाह बुच्चुन भाइ
गेल छलाह
दिल्ली,
सात-सात
टा घर
आ दुइएटा
लोक
कहैत
छलाह एन. झा
गेल छलाह
गाम |
(प्रकाशित : मैथिली पत्रिका आरम्भ, पटना, अंक २४/जून २०००)
No comments:
Post a Comment